मैथिली लेखक संघक प्रमुख उद्देश्य

१.मैथिली लेखक जे विभिन्न भू-भागपर बसल आ कार्यरत छथि, केँ एक सूत्रमे रखबाक उद्यम।

२.मैथिली साहित्यकार-पत्रकार लेल बनल राजकीय योजनाकेँ क्रियान्वित करायब।
३.एहन योजना सभ जे अन्य भाषा साहित्यकार पत्रकारकेँ लाभ दए रहल छैक तकरा मैथिली लेल सेहो लागू करबाक प्रयत्न।
४.मैथिली लेखक आ पत्रकार लेल पेंशन योजनाकेँ लागू करायब।
५.निर्धन, असहाय आ गंभीर बीमारीक स्थितिमे लेखक पत्रकारकेँ विशेष आर्थिक सहायता संघ द्वारा दिआयब वा सरकारी मदति दितेबाक प्रयास करब।
६.मैथिलीक समर्पित आ प्रतिष्ठित लेखक सभकेँ पद्म-अलंकरण आ अन्य उच्च स्तरीय सम्मान दियेबाक दिशामे प्रयत्न करब।
७.देश-देशान्तरक अन्य लेखक संघ, भाषा केन्द्र, अकादमीक संग सहभागिताक प्रयत्न करब।
८.संघक पत्रिका (मुख पत्र)क द्वारा लेखकक गतिविधिकेँ प्रचारित आ प्रसारित करब।
९.पोथी प्रकाशन लेखन कार्यशाला, कविगोष्ठी, विचार गोष्ठीकेँ प्रोत्साहन देब।
१०.मैथिली लेखकक बौद्धिक सम्पदाक रक्षा, सम्वर्द्धन आ विकासक संग बौद्धिक सम्पदा कानूनक अन्तर्गत उत्तराधिकारी तक सहयोग करब।
११.मैथिली लेखक संघक वेब-साइटमे लेखकक जीवन परिचय, पोथी समीक्षा आ विभिन्न रचनाक परिचय रहत।
१२.विपन्न/ प्रतिभाशाली लेखकक पुस्तक प्रकाशनमे मदति करब।
१३.नवोदित रचनाकारकेँ प्रोत्साहन हेतु पुरस्कारक व्यवस्था करब।
१४.मैथिली पोथीक वृहत पुस्तकालयक स्थापना करब।
१५.अनुवाद साहित्यकेँ प्रोत्साहन।

मैथिली लेखक संघक मुखपत्र "समवेत" नामसँ प्रकाशित होइत अछि।